सुचना: प्रिय मैथिल बंधूगन, किछ मैथिल बंधू द्वारा सोसिअल नेटवर्क (फेसबुक) पर एक चर्चा उठाओल गेल " यो मैथिल बंधूगन कहिया ई दहेजक महा जालसँ मिथिला मुक्त हेत ?" जकरा मैथिल बंधुगणक बहुत प्रतिसाद मिलल! तहीं सँ प्रेरीत भs कs आय इ जालवृतक निर्माण कएल गेल अछि! सभ मैथिल बंधू सँ अनुरोध अछि, जे इ जालवृत में जोर - शोर सँ भागली, आ सभ मिल सपथ ली जे बिना इ प्रथा के भगेना हम सभ दम नै लेब! जय मैथिली, जय मिथिला,जय मिथिलांचल!
नोट: यो मैथिल बंधुगन आओ सभ मिल एहि मंच पर चर्चा करी जे इ महाजाल सँ मिथिला कोना मुक्त हेत! जागु मैथिल जागु.. अपन विचार - विमर्श एहि जालवृत पर प्रकट करू! संगे हम सभ मैथिल नवयुवक आ नवयुवती सँ अनुरोध करब, जे अहि सबहक प्रयास एहि आन्दोलन के सफलता प्रदान करत! ताहीं लेल अपने सभ सबसँ आगा आओ आ अपन - अपन विचार - विमर्श एहि जालवृत पर राखू....
ब्लॉगक उद्येश लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
ब्लॉगक उद्येश लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

मंगलवार, 5 जुलाई 2011

दहेज मुक्त मिथिलाके भविष्य - प्रवीण चौधरी..

बंधुगण! इ अत्यन्त महत्त्वपूर्ण विन्दु अछि जाहि पर दहेज मुक्त मिथिलाके वर्तमान सदस्यके संगहि अन्य महानुभाव सभ सेहो विचार करी। जाबत धरि निम्न विन्दु ऊपर संस्थाके वर्तमान अबस्था अहाँ सभ के स्पष्ट नहि होयत, एकर भविष्य निर्धारण करब बहुत मुश्किल बुझा रहल अछि।

१. कार्यकर्ता: एखन धरि के अबस्था एहेन अछि जे हमरा लोकनि... छिटफूट किछु प्रतिबद्ध लोक एहिमें अपन समय, धन आ विचार लगा रहल छी। कोनो समय यदि १० कार्यकर्ता एक ठाम बैसयके योजना बनायब आ किछु आगामी समयके लेल विचार करब से संभव नहि अछि, अनेको कारण सऽ।

२. केन्द्र: यथार्थके धरातलपर एकर केन्द्र पंजी भवन, सौराठ सभागाछी अछि - मुदा फेशबुकपर एकर केन्द्र इ ग्रुप याने दहेज मुक्त मिथिला अछि। यथार्थके केन्द्रपर केवल दू-चारि गोटे तत्पर छथि - हुनको तत्परता में एतेक मर्म छन्हि जे हम मने मन हुनका सभके बेर-बेर प्रणाम करैत छी। हमर हार्दिक इच्छा अछि जे केन्द्रके कार्यालयके व्यवस्थित करैक लेल एक कंप्युटर के परम आवश्यकता छैक आ श्री प्रकाश चौधरीजीके अध्यक्षतामें एहि कार्यालयके सुचारू रूप सऽ कार्यान्वयन कैल जयबाक चाही। हलाँकि प्रकाश भाइ आइ तीन महीना सऽ अपन अमूल्य योगदान देलाह छथि, अपन जे एक छोट-छिन फोटोग्राफीके दोकान छलन्हि सेहो बन्द भऽ गेलन्हि अछि, बहुत समस्याके भीतरे-भीतर पिबैतो ओ दहेज मुक्त मिथिलाके लेल अपन अमूल्य योगदान देलाह, एकर आभार हमरा लोकनि कहियो नहि उतारि सकब। लेकिन आगामी समयके लेल हिनकर समयके समुचित ढंग सऽ लैक लेल संस्थाके प्रतिबद्ध संचालक सदस्य सभ एक बान्हल योगदान यदि देथिन तखनहि संभव छैक जे कार्यालय निरंतर चलतैक - फेशबुकके केन्द्र सऽ यथार्थके केन्द्रके बीच सामंजस्य रहतैक आ सरकारी कोष संग जुड़ैके सेहो प्रयास हेतैक। गाम-गाम एहि बात के चर्चा पहुँचतैक। हरेक सप्ताह नव-नव गामके जोड़ल जेतैक। एहि सभ के लेल एक समुचित कोष के आधार कि तऽ?

३. कोष: यैह प्रमुख विन्दु थीक। शुरु कैल, सदस्यता शुल्क मात्र कोषके आधार बनाओल। तदोपरान्त किछु सक्षम सदस्य अपन व्यक्तिगत अनुदान राशि सऽ एहि संस्थाके मजबूती देबाक चेष्टा करैत रहलाह छथि। आगुओ हिनकहि तैयार रहय पड़तन्हि... ताबत, जाबत इ संस्था एक गैर सरकारी संगठन बनिके नहि सामने अबैछ आ एकर कारोबार सरकारी योजनानुसार नहि चलय लगैछ। एहि में कम से कम ६ महीना के समय मानल जाउ। पहिले पंजियन, फेर कम से कम ४०-५० गाम में संस्थाके सदस्यताके निर्माण। तदोपरान्त एक आमसभा - फेर कार्यक्रम योजना, कोषके व्यवस्थापन, कार्यान्वयन, आदि अनेक तत्त्वपर विचार करैत प्रोजेक्ट पेश केनै आ सरकारी योजनाके अन्तर्गत समाजमें जागृति पसारयके काज के संग-संग दहेज मुक्त मिथिलाके अपन जे किछु योजना हेतैक से सभ शुरु कैल जेतैक। सभ मिला के यदि एखन १० सदस्य ५००/- महीना के अनुदान उपलब्ध करौता, तखनहि संभावना प्रबल बनैछ जे संस्थाके प्राणाधार बनल रहतैक। आब एहेन १० सदस्य के तऽ??

४. कार्यक्रम योजना: शुरुमें हमरा लोकनिक योजना एहेन छल जे फेशबुक के पेज सऽ १०० लड़का दहेज मुक्त विवाह करनिहार एता - अनेरौ सऽ समूचा मिथिलामें इ खबर इजोत जेकाँ पसरतैक आ ताहि क्रममें संगठन स्वतः लोकके विश्वास जितैत बनतैक... लेकिन... अपने लोकनि जनैत छी जे एहेन किछु नहि भेलैक। गप मारऽ के अलावा ओहि विन्दुपर कोनो उल्लेखणीय कार्य प्रतिबद्ध सदस्य द्वारा नहि कैल गेल। दोष केकरो नहि, समय के फेरी कहल जाय। पुनः हम सभ प्रतिबद्ध छी जे अगिला साल तक कम से कम १०० दहेज मुक्त विवाह अवश्य कराओल जाय। बहुत लगन सऽ हम सभ लागल छी, बहुत लोक हमरा संग सेहो सम्पर्क में आयल छथि आ उम्मीद अछि जे ईश्वर-कृपा सऽ इ योजना अगिला साल तक सफल होइ। मुदा एकर सफलता तखनहि हेतैक जखन हम सभ छोट-छोट कार्यक्रम अनेको जगह करबा सकी। जेना हम गछने छी जे दिसम्बरमें बिराटनगरमें सौराठके प्रतिकात्मक पुनरावृत्ति करेबैक आ जागृति करैत आह्वान करबैक जे दहेज मुक्त विवाह करनिहार हमरा सभ संग जुड़ैथ आ सौराठ एहेन महत्त्वपूर्ण पारंपरिक संस्था सभके मिलि-जुलिके सम्हारै जाउ। एहि तर्जपर दिल्ली, पटना, कलकत्ता, मुंबई, वापि, चेन्नै, बंगलोर, रायपुर, आदि दूरस्थ जगह के संग-संग मिथिलाके अनेको क्षेत्रमें कार्यक्रम करबैत एक आम आह्वान करबैक आ इ काज प्रत्येक महीना होइक से योजना छैक। यदि पंजियन प्रक्रिया भऽ जेतैक तखन जल्दिये कला-संस्कृति विभाग द्वारा सेहो पूर्ण सहयोग भेटतैक, इ आशा अछि।

५. क्रियान्वयन: उपरोक्त बहुत विन्दुपर यदि दहेज मुक्त मिथिला सक्षम होइछ, तऽ क्रियान्वयन में समस्या नहि हेतैक इ उम्मीद राखै जाउ। यदि वास्तवमें लोक में दहेज प्रति विछोह छैक, आ सत्यके धरातल पर परिवर्तन चाहैत छथि, तऽ अपन उर्जा के संस्थाके उर्जामें समाहित करैत आगू बढैत रहबाक प्रतिबद्धता अवश्य जाहिर हेतैक आ सफलतापूर्वक सभ कार्यक्रम के क्रियान्वयन कैल जा सकैछ। एकर सुखद परिणाम इ हेतैक जे लोकमें विश्वास आ उम्मीद दुनू बढतैक - सब सऽ बेसी परिवर्तन एतैक हताश बेटी आ बहिनमें - कारण ओकर अबस्था जे एक मूक दर्शक के छैक ताहिमें बोली एवं हिम्मत आबैक पूर्ण संभावना छैक।

बंधुगण! उपरोक्त ५ महत्त्वपूर्ण विन्दुमें अपने लोकनि कतय आ केना योगदान दऽ सकैत छी से स्वयं निर्णय करू। दहेज मुक्त मिथिलाके भविष्य के निर्धारण अहीं सभके हाथ में अछि।

जय मैथिली! जय मिथिला!!

Read more...

शुक्रवार, 15 अप्रैल 2011

सौराठ सभा २०११: प्रस्तावित दहेज मुक्त मिथिला के सहभागिता - प्रवीण चौधर...

प्रथम उद्देश्य: सौराठ सभाके पुनर्जीवित केनै

द्वितीय उद्देश्य: दहेज मुक्त मिथिला के प्रथम लक्ष्य-प्राप्ति हेतु दहेज मुक्त विवाह करनिहार जोड़ा-जोड़ी लेल ग्रास-बास-कपास एवं अन्य सभ आवश्यक सुविधाके जोगाड़ एवं व्यवस्थापना

तृतीय उद्देश्य: वंशावली परंपरा के महत्त्वके बुझैत आजुक ग्लोबल मिथिला में मैथिलकेर वर्तमान अवस्थिति, गणना एवं वंशावली व्यवस्थाके निर्माण - कंप्युटरीकरण

चतुर्थ उद्देश्य: सौराठ सभाके तर्जपर विभिन्न गाम आ शहर में सभा लगैक आ दहेज मुक्त मिथिलाके तरफ सऽ द्वितीय उद्देश्यके निर्वाह

पंचम उद्देश्य: पंजीकार, दुतीकार, आदि सभके लेल पारितोषिक एवं आर्थिक लाभोपार्जन हेतु समुचित अवसरके निर्माण

(आरो महत्त्वपूर्ण विन्दु के रूपमें उद्देश्य जोड़यके लेल अपनेक मूल्यवान्‌ सल्लाह निमंत्रित अछि।)

वर्तमान लक्ष्य: सौराठ सभा २०११ में कम से कम १०० जोड़ा वर एवं कन्याके दहेज मुक्त मिथिलाके प्लेटफार्मके अन्तर्गत दहेज मुक्त विवाह सौराठ सभाके शुभ लग्न में संपन्न करयबाक योजना। संपूर्ण सहभागी जोड़ा हेतु एक-समान पारितोषिक-उपहार भेंट-प्रस्तुति। सभ दहेज मुक्त विवाह ऊपर पूर्ण मिडिया कवरेज। स्मारिका हेतु सभ दहेज मुक्त जोड़ाकेर जीवनपर आधारित रोचक एवं प्रासंगिक लेख-रचना, फोटो, एवं सरकारी सहायता उपलब्ध कराबय हेतु आश्वासन एवं कार्यान्वयन। (एतेक बात एहि बेरक सभामें समावेश कैल जाय, वा अपनेक सल्लाह जोड़य-घटाबय हेतु आग्रह।)

कार्यक्रम योजना: जून २०-२९, २०११ - सौराठ सभामें दहेज मुक्त मिथिलाके एक स्टेज एवं कैम्प जाहिमें कमसे कम २०० आदमीके लेल ठहरनै, भोजन-पानी एवं संपूर्ण आवश्यक मानव-सेवा उपलब्ध करौनाइ - समुचित दर पर वा निःशुल्क - कोष अनुसार निर्णय कैल जायत। सहभागी सभक लेल आवश्यक प्रचार-प्रसार।

केन्द्र: सौराठ सभागाछी वा आसपास कोनो गाममें एक कार्यालयके स्थापना।

कोष: दहेज मुक्त मिथिलाके सदस्य सभक व्यक्तिगत सहयोग - गाम-गाम आ शहर-शहर में चन्दा संकलन (स्वेच्छासहित)। एक बैंक खाता खोलि समग्र दान के समुचित लेखासहित व्यवस्थापना। अन्य।

कार्यकर्ता: ६० प्रतिशत स्थानीय कार्यकर्ता, ४० प्रतिशत बाहरी सदस्य एवं पदाधिकारी।

क्रियान्वयन: उपरोक्त कार्यक्रमके शुभारंभ सौराठ सभा समयमें, तेकर उपरान्त कार्यकारिणीके निर्णयानुसार।

सदस्यता शुल्क: आजीवन ५०१/- एवं वार्षिक: १५१/-

संस्था पंजीकरण: मधुबनी जिलान्तर्गत जिलाधीशके कार्यालय सऽ सल्लाह-मशवरा करैत एकर पंजीकरण नियमानुसार करैत संस्थाके बैंक खाता खोलनाइ - इ कार्य एक-बेर जखन इ ड्राफ्ट पूर्ण रूप लऽ लेत तखन तुरन्त करबाक लेल आग्रह।

हरिः ॐ! हरिः हरः!!

Read more...

शुक्रवार, 4 मार्च 2011

दहेज़ मुक्त मिथिलाक उद्येश,....

दहेज़ मुक्त मिथिलाक उद्येश,.....

किछु दिन पहिने जितमोहन जी के एकता पोस्ट वोइस ऑफ़ मिथिला पैर आयल, जे आई प्रकार सँ छल:-

आय हम मैथिल बंधूक माध्यमसँ ई जानैक इच्छुक छी जे..

मिथिलाक नाम पर बहुत आन्दोलन चैल रहल अछि!

मुदा की मिथिला में दहेज़ प्रथाक लेल कुनू आन्दोलन चलत ?? यो मैथिल बंधूगन कहिया ई दहेजक महा जालसँ मिथिला मुक्त हेत... ??


अई विषय पर बहुत रास प्रतिक्रिया आयल, किछु उत्साहित किछु, किछु व्यंगात्मक, किछु प्रश्नवाचक,

किछु नवयुवक एहन छाला जे आपन जीवन में बहुत नीक मुकाम पर छैथ ऑओ अपन जीवन के निर्णय

अपने लेवा में पूर्ण सक्षम छैथ, जखन ओ सब आई विषय के समर्थन केला की मिथिला के दहेज़

मुक्त कायल जाय, तखन त छाती ३६ इंची भा गेल, मुदा अई विषय में एक त मुख्य गप जे सामने आयल ओ

इ की जे कियो बिना दहेज़ के विवाह करता से कनिया मनपसंद करता, बात त बब्बू बर सार्थक थीक, आ

होबाको सहे चाही, ताई पर हमरा लोकिन ई ब्लॉग के निर्माण केना छि, हमरा सब के आशा जे अई मुहीम में

अधिकाधिक नवयुवक आ हुनक माता-पिता जुरैथ आ अई दहेज़ रूपी कलंक के धोबा में सहयोग करी.


हम आपने लोकिन स ईहो आग्रह करब जे "दहेज़ मुक्त मिथिला" विषय पर अपन अपन विचार अवश्य

लिखी.

Read more...

गुरुवार, 3 मार्च 2011

अविवाहित मैथिल युवक आ युवती सब सँ आग्रह..

अविवाहित मैथिल युवक आ युवती सब सँ आग्रह..., जे अपने लोकिन आई ब्लॉग स जूरी आ अई दहेज़ रूपी कलंक के समाप्त करावा में अपन सहयोग दी, आई ब्लॉग स जुर्वाक लेल, अपन ईमेल id उपरोक्त id पर भेजी.

छमा नव युवक आ नव युवती के मतलब ई नै की खली ईहे सब, समस्त मैथिल समाज कियक की गार्जियन सब के सेहो जरुरत छैन, ताई सुब गोते सा आग्रह,

Read more...
Most Popular Maithili Blog

  © Dahej Mukt Mithila. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP