सुचना: प्रिय मैथिल बंधूगन, किछ मैथिल बंधू द्वारा सोसिअल नेटवर्क (फेसबुक) पर एक चर्चा उठाओल गेल " यो मैथिल बंधूगन कहिया ई दहेजक महा जालसँ मिथिला मुक्त हेत ?" जकरा मैथिल बंधुगणक बहुत प्रतिसाद मिलल! तहीं सँ प्रेरीत भs कs आय इ जालवृतक निर्माण कएल गेल अछि! सभ मैथिल बंधू सँ अनुरोध अछि, जे इ जालवृत में जोर - शोर सँ भागली, आ सभ मिल सपथ ली जे बिना इ प्रथा के भगेना हम सभ दम नै लेब! जय मैथिली, जय मिथिला,जय मिथिलांचल!
नोट: यो मैथिल बंधुगन आओ सभ मिल एहि मंच पर चर्चा करी जे इ महाजाल सँ मिथिला कोना मुक्त हेत! जागु मैथिल जागु.. अपन विचार - विमर्श एहि जालवृत पर प्रकट करू! संगे हम सभ मैथिल नवयुवक आ नवयुवती सँ अनुरोध करब, जे अहि सबहक प्रयास एहि आन्दोलन के सफलता प्रदान करत! ताहीं लेल अपने सभ सबसँ आगा आओ आ अपन - अपन विचार - विमर्श एहि जालवृत पर राखू....

शुक्रवार, 15 अप्रैल 2011

सौराठ सभा २०११: प्रस्तावित दहेज मुक्त मिथिला के सहभागिता - प्रवीण चौधर...

प्रथम उद्देश्य: सौराठ सभाके पुनर्जीवित केनै

द्वितीय उद्देश्य: दहेज मुक्त मिथिला के प्रथम लक्ष्य-प्राप्ति हेतु दहेज मुक्त विवाह करनिहार जोड़ा-जोड़ी लेल ग्रास-बास-कपास एवं अन्य सभ आवश्यक सुविधाके जोगाड़ एवं व्यवस्थापना

तृतीय उद्देश्य: वंशावली परंपरा के महत्त्वके बुझैत आजुक ग्लोबल मिथिला में मैथिलकेर वर्तमान अवस्थिति, गणना एवं वंशावली व्यवस्थाके निर्माण - कंप्युटरीकरण

चतुर्थ उद्देश्य: सौराठ सभाके तर्जपर विभिन्न गाम आ शहर में सभा लगैक आ दहेज मुक्त मिथिलाके तरफ सऽ द्वितीय उद्देश्यके निर्वाह

पंचम उद्देश्य: पंजीकार, दुतीकार, आदि सभके लेल पारितोषिक एवं आर्थिक लाभोपार्जन हेतु समुचित अवसरके निर्माण

(आरो महत्त्वपूर्ण विन्दु के रूपमें उद्देश्य जोड़यके लेल अपनेक मूल्यवान्‌ सल्लाह निमंत्रित अछि।)

वर्तमान लक्ष्य: सौराठ सभा २०११ में कम से कम १०० जोड़ा वर एवं कन्याके दहेज मुक्त मिथिलाके प्लेटफार्मके अन्तर्गत दहेज मुक्त विवाह सौराठ सभाके शुभ लग्न में संपन्न करयबाक योजना। संपूर्ण सहभागी जोड़ा हेतु एक-समान पारितोषिक-उपहार भेंट-प्रस्तुति। सभ दहेज मुक्त विवाह ऊपर पूर्ण मिडिया कवरेज। स्मारिका हेतु सभ दहेज मुक्त जोड़ाकेर जीवनपर आधारित रोचक एवं प्रासंगिक लेख-रचना, फोटो, एवं सरकारी सहायता उपलब्ध कराबय हेतु आश्वासन एवं कार्यान्वयन। (एतेक बात एहि बेरक सभामें समावेश कैल जाय, वा अपनेक सल्लाह जोड़य-घटाबय हेतु आग्रह।)

कार्यक्रम योजना: जून २०-२९, २०११ - सौराठ सभामें दहेज मुक्त मिथिलाके एक स्टेज एवं कैम्प जाहिमें कमसे कम २०० आदमीके लेल ठहरनै, भोजन-पानी एवं संपूर्ण आवश्यक मानव-सेवा उपलब्ध करौनाइ - समुचित दर पर वा निःशुल्क - कोष अनुसार निर्णय कैल जायत। सहभागी सभक लेल आवश्यक प्रचार-प्रसार।

केन्द्र: सौराठ सभागाछी वा आसपास कोनो गाममें एक कार्यालयके स्थापना।

कोष: दहेज मुक्त मिथिलाके सदस्य सभक व्यक्तिगत सहयोग - गाम-गाम आ शहर-शहर में चन्दा संकलन (स्वेच्छासहित)। एक बैंक खाता खोलि समग्र दान के समुचित लेखासहित व्यवस्थापना। अन्य।

कार्यकर्ता: ६० प्रतिशत स्थानीय कार्यकर्ता, ४० प्रतिशत बाहरी सदस्य एवं पदाधिकारी।

क्रियान्वयन: उपरोक्त कार्यक्रमके शुभारंभ सौराठ सभा समयमें, तेकर उपरान्त कार्यकारिणीके निर्णयानुसार।

सदस्यता शुल्क: आजीवन ५०१/- एवं वार्षिक: १५१/-

संस्था पंजीकरण: मधुबनी जिलान्तर्गत जिलाधीशके कार्यालय सऽ सल्लाह-मशवरा करैत एकर पंजीकरण नियमानुसार करैत संस्थाके बैंक खाता खोलनाइ - इ कार्य एक-बेर जखन इ ड्राफ्ट पूर्ण रूप लऽ लेत तखन तुरन्त करबाक लेल आग्रह।

हरिः ॐ! हरिः हरः!!

0 टिप्पणियाँ:

एक टिप्पणी भेजें

Most Popular Maithili Blog

  © Dahej Mukt Mithila. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP