सुचना: प्रिय मैथिल बंधूगन, किछ मैथिल बंधू द्वारा सोसिअल नेटवर्क (फेसबुक) पर एक चर्चा उठाओल गेल " यो मैथिल बंधूगन कहिया ई दहेजक महा जालसँ मिथिला मुक्त हेत ?" जकरा मैथिल बंधुगणक बहुत प्रतिसाद मिलल! तहीं सँ प्रेरीत भs कs आय इ जालवृतक निर्माण कएल गेल अछि! सभ मैथिल बंधू सँ अनुरोध अछि, जे इ जालवृत में जोर - शोर सँ भागली, आ सभ मिल सपथ ली जे बिना इ प्रथा के भगेना हम सभ दम नै लेब! जय मैथिली, जय मिथिला,जय मिथिलांचल!
नोट: यो मैथिल बंधुगन आओ सभ मिल एहि मंच पर चर्चा करी जे इ महाजाल सँ मिथिला कोना मुक्त हेत! जागु मैथिल जागु.. अपन विचार - विमर्श एहि जालवृत पर प्रकट करू! संगे हम सभ मैथिल नवयुवक आ नवयुवती सँ अनुरोध करब, जे अहि सबहक प्रयास एहि आन्दोलन के सफलता प्रदान करत! ताहीं लेल अपने सभ सबसँ आगा आओ आ अपन - अपन विचार - विमर्श एहि जालवृत पर राखू....

बुधवार, 6 अप्रैल 2011

सौराठ सभा २०११ - प्रवीण चौधरी

अबै जाउ! अबै जाउ! अबै जाउ!!


दहेज मुक्त मिथिला के एहि ग्रुपके सक्रिय सदस्य सभके अगुवाई में एहि बेरक सौराठ सभामें पूर्ण जोश सँ सहभागी बनय लेल अबै जाउ। कार्यक्रम के विस्तृत प्रारूप आ सहभागिता हेतु विभिन्न तौर तरीका हेतु हम अपने लोकनि सँ आगामी शनि दिन योजना प्रस्तुत करब। ओ ड्राफ्टके रूपमें होयत। तदोपरान्त अपने लोकनि लग आगामी सात दिन ताहिपर विचार-विमर्श करबाक लेल समय भेटत। आ अगिला शनि दिन पूर्ण रूपमें तैयार ओहि योजना पर अमल करनिहार सभके नाम, गाम, ठेगाना, इच्छा, रुचि, जोड़ी के प्रकृति, आदि अनेक सम्बन्धित बात सभ सेहो प्रकाशित करि हमरा लोकनि एहि बेरका सौराठ सभामें हिस्सा लेब आ एहि महत्त्वपूर्ण परम्पराके निर्वाह के संग सामूहिक शपथ ग्रहण करब जे हमरा लोकनि मिथिलाके दहेज सऽ मुक्त करैक लेल कटिबद्ध छी। जे केओ अपन विवाह ओहि प्लेटफार्म पर घोषणा करता ओ दहेज मुक्तके नायक एवं नायिका के रूप में संसार भरिमें नहि सिर्फ ख्याति पेता बल्कि माँ मैथिली के आशीर्वाद सँ हुनकर कोनो समस्या हमरा लोकनिक समस्या होयत आ हुनकर जीवन धरि हमरा लोकनिक संस्था संरक्षक के रूपमें रहत। हमरा लोकनिक एहि संस्थाके चलाबय हेतु जे कोनो कोष के जरुरी हेतैक ओ व्यक्तिगत वा समूहगत योगदान सहित सरकारी, गैर-सरकारी, चैरिटी शो सऽ कमाई आदि अनेको रहत।



अपने लोकनिक सलाह आमन्त्रित अछि।


जय मैथिली! जय मिथिला!

0 टिप्पणियाँ:

एक टिप्पणी भेजें

Most Popular Maithili Blog

  © Dahej Mukt Mithila. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP